Breaking News

मिथिला स्टुडेन्ट युनियन नेपालकक साखा सप्तरी एकाइ गठन

गजेन्द्र गजुर ,सिरहा 
युवाक भूमिका’ विषयक अन्तरक्रिया शुकरदिन हनुमाननगर कंकालिनी न. पा.मे आयोजन कएल गेल। जाहि कार्यक्रममे मिस्यु नेपालद्वारा मैथिली गतिविधी सप्तरीमे सेहो सुरु करबाक लले स्थानिय युवा सभहक सक्रितामे "सप्तरी एकाइ समिती " गठन केलक अछि। जकर साखा - हनुमाननगर कंकालिनी न. पा. - ९ मे राखल गेल अछि। महाबीर मा. वी.मे आयोजित हृदय नारायण यादवके अध्यक्षतामे भेल उक्त कार्यक्रमके प्रमुख अतिथि मिथिला साहित्य परिषदके सचिव तथा पत्रकार श्यामसुन्दर यादव ,विशिष्ट अतिथि स्थानियन समाजसेवी देवेन्द्र झा ,स्थानियन मैथिली प्रेमी माधव कुमार छलाह।
स्थानीय तहमे मातृभाषा मैथिलीके कामकाजी भाषा बनेबा लेल युवा सक्रियताके आवश्यकता रहल कार्यक्रमक प्रमुख अतिथि बतौतलक।
मैथिली भाषा, साहित्य - कलाके विकासेे युवासभहक सक्रियतामे सदिखन सङ्ग देबाक प्रतिवधता जनौलक।
उक्त कार्यक्रममे शाखा कार्य समिति आ सल्लाहकार समिति गठनके घोषणा भेल । जाहिमे अध्यक्ष - मो. हसन राजा उपाध्यक्ष-आरती साह,
सचिव-सत्यनारायण पंडित , सह सचिव - मुकेश कुमार चौधरी कोषाध्यक्ष चन्दा साह
समितिमे रबि शर्मा, राजेश मंडल, नेहा राउत, विजय राम, राजकुमार यादव आ सञ्जय मण्डल चयन कएलक अछि । समितिक सल्लाहकारमे माधव कुमार , देबेन्द्र झा, महेश मेहता आ राजेन्द्र मिश्र छथि। कार्यक्रमके बीच बीचमे विभिन्न मैथिली गीत सुना सभहभागिके मोन जीतबा लए तेजु मैथिल सफल भेल ।सयुनियनके सचिव गजेन्द्र गजुरद्वारा सञ्चालित कार्यक्रममे मिथिला स्टुडेन्ट युनियन केन्द्रिय अध्यक्ष हृदयनारायण यादव, पूर्व अध्यक्ष दिनेश रसिया, कोषाध्यक्ष गायत्री सिंह, गायक तेजु मैथिल, हिरा महतो, रामनारायण साह, बिराटनगर एकाइ समितीके सचिव शिवम मिश्रा आ माधव कुमार , मिथिला साहित्य- कला प्रतिष्ठानके प्रतिनिधि श्रीराम मण्डल ‘भरोसी’, शिक्षक/कलाकार महेश महतो, स्थानिय युवा , वुधिजिवी तथा स्कुलक विद्यार्थी सेहो उक्त अन्तर क्रियामे व्यतिमन्तव्य व्यक्त केलक ।