Breaking News

इ छथि मिथिलाक बेटा, मैथिली फिल्म प्रेमक बसात के हीरो पियूष कर्ण

फिल्म इंडस्ट्री मे बहुते एहन लोग भेल छथि जे अपन जीवन मे करबाक किछ चाहैत छलथि मुदा बनी गेला किछू और ताहिलेल इ कहाबत चरितार्थ होइत अछि ‘होनहार विरबान के होइत चिकन पात’ एहने मिथिला के एकटा अभिनेता छथि पियूष कर्ण जे फिलहाल नेपाल के बीरगंज मे रही रहल छथि। बैंगलोर सँ इंजीनियरींग पढ़ाई पास भेला के बाद अपन परिवार लग बीरगंज आबि गेला और ओतहि सँ इ फिल्म लाईन मे आबि गेला। नेपाली फिल्म इंडस्ट्री (कैलिवूड) मे कतेको म्यूजिक विडिओ क चुकल पियूष कर्ण इंटरनेशनल मॉडलक संगे एकटा एंकर सेहो छथि। २०१४ मे हिनक हिंदी म्यूजिक वीडियो सांसें एलनी जे कि नेपालक पहिल हिंदी म्यूजिक वीडियो छलनि फेर नेपाली म्यूजिक हिमालाय मा एलनी। ओहि साल पॉप सिंगर बदल परसाई के संगे फेरो 'सांसे' क दोसर गीत दबी दबी आयल जाहिके लिरिक्स पियूष कर्ण खुद लिखने छलथि।

जरचित मैथिली फिल्म 'प्रेमक बसात' मे मुख्य अभिनेताक भूमिका निभा रहल छथि। इ फिल्म मैथिली इंडस्ट्री मे एखन धरिक सबसँ महंग और तकनीकी दृष्टिकोन सँ अवल अछि जे २०१८ मे सिनेमा घर मे लागत। प्रेमक बसात एकटा एहन कहानी अछि जाहिमे धर्म प्रेम और दोस्ती के देखाओल जायत।-मिथिला धरोहर