Breaking News

फिल्म राज्जा रानी 5 दिसंबर के रिलीज़ होएत, टीज़र देखी

पिछला किछु समय सं मैथिली फिल्म आ म्यूजिक वीडियो बनबा मे गति देखल गेल अछि. एहि कड़ी मे एकटा अओर मैथिली फिल्म आबि रहल अछि. मूलतः नेपाली भाषा मे बनल 'राज्जा रानी' मैथिली भाषा मे सेहो रिलीज़ हेबा लेल तैयार अछि.

फिल्म निर्माण टीम क' मानी त' फ़िल्म पश्चिमी नेपाली तराई क्षेत्रक आदिवासी समुदायक खिस्सा कहत. फ़िल्मक मुख्य रोल मे अभिनेता नाजिर हुसैन आ अभिनेत्री केकी अधिकारी छथि. मैथिली कला संस्कृतिक संगे मधेस के विषय वस्तु बना फ़िल्मक निर्माण भेल अछि. फिल्म राज्जा रानी नेपाल संगे भारत मे सेहो रिलीज़ होएत.

फिल्म पूरा नेपाल मे 5 दिसंबर कें रिलीज़ होएत. भारत क्षेत्र मे उम्मीद करी जे फिल्म के बहुते रास सिनेमाघर मे जगह भेटय.
स्रोत ;मिथिला पराइम
फिल्मक टीज़र देखी