Breaking News

मिथिला स्टूडेन्ट युनियनद्वारा बाढीपिडितके राहत वितरण


दिनेश रसिया,साउन १५,सप्तरी । मिथिलमा स्टूडेन्ट युनियन नेपालदवारा सीतरीक अतिविकट आ टाप्के रुपमे रहल गोबरगाढाके बाढी पिडित बालबालिकाके राहत सामग्री सवरुप शैक्षिक सामग्री बितरण केलक अछि । श्री शारदा नि मा वि गोबरगाढाके प्राङगनमे वितरण क्याल गेल राहत सामग्री स्थानीयके रोहबरमे मिथिला स्टूडेन्ट युनियन नेपालके सदस्यसब अपने हातस विद्यार्थीके हाथधैर पह्चेलक अछि । जम्मा १ सय ७ गोटे विद्यार्थीके राहत वितरण क्यालगेल युनियनके रितेश मैथिल जानकारी देलैन । यातायातके साधन नै भेलासं युनियनके १० गोट युवासभ बोइकके लगभग २० हजारके शैक्षिक सामग्री वितरण केलक अछि । जाहिमे काँपी, कलम, पेन्सिल, चाउचाउ, साबुन, लगात अन्य सामग्री सब रहल छल । आदरनीय धिरेन्द्र प्रेमर्षी जीक विशेश सहयोग ५०००, प्रसतोता नेपालक दिस स प्रदान केलगेल ५००० लगायतके सहयो एकम्स्ट १०००० तत्काल उपलब्ध करौलैन तथा विदेशमे रहल युवा प्रकाश मैथिल दिससं ३१०० लगायत स्थानीय युवा सबके सहयोग स युनियन इ कार्य समपन्न केलक अछि ।