आब मैथिली सिनेमा ‘राखी के लाज’ रक्षाबंधन के बजाय दुर्गापूजा पर होयत रिलीज़

गौरतलब अछि जे इ एहि सिनेमाक शूटिंग पैछला बरख शुरू भेल छल। एहि सिनेमाक खास बात इ अछि जे एहिमे स्थानीय कलाकार के तव्वजो देल गेल अछि आ सिनेमाक लगभग 90 प्रतिशत शूटिंग मिथिला समस्तीपुर,मधुबनी, दरभंगा, सहरसा आदि जगह पर भेल अछि।
आनंद फिल्म प्रोडक्शन हॉउस केर बैनर तर बनि रहल एहि सिनेमाक निर्माता-निर्देशक नरेश मंडल छैथ। एहि सिनेमाक कहानी आशुतोष सागर लिखने छथि आ अभिनय सेहो कएने छथि। आशुतोष’क अलावा राम रसीला,मंजुश्री दुबे,सोनी, कंचन सिंह, मोहन झा, सुष्मिता, जय कृष्ण दत्ता,राम सकल आदि अभिनय कएने छथि।
आशुतोष सागर केर लिखल गीत केँ संगीत सँ साजेलथि एहि मनीष आ चन्दन झा। कोरियोग्राफी पवन मिश्रा कएने छथि। प्रोडक्शन हेड प्रभात रॉय केर देखरेख मे राखी के लाज एहि स्थिति धरि पहुँच पाओल।
No comments