Breaking News

चैनपुर आइडोल केर अडिसन भेल संपन्न: कुल १४० मे सँ २१ प्रतियोगीक चुनाव फाइनल लेल भेल

कुमुदानन्द झा ‘प्रियवर’, चैनपुर (सहरसा)। अक्टुबर ११, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
chainpur event4
फोटो साभार: जय हो बन्गाम
आइ क्रान्तिभूमि सहरसाक आदर्श गाम मे ‘चैनपुर आइडोल’ वास्ते राखल गेल अडिसन संपन्न भेल। चैनपुर केर उच्च विद्यालय आ वरिष्ठ नागरिक क्लब मे अडिसन शो राखल गेल छल। चैनपुर २००५ मैट्रीक बैच केर युवा लोकनि एहि प्रतियोगिताक आयोजन कएने छलाह। एहि प्रतियोगिता मे कुल १४० प्रतियोगी भाग लेलनि जाहि मे सँ २१ प्रतियोगी केँ फाइनल शो हेतु चुनल गेल। 
फाइनल १० नवम्बर केँ काली स्थान – चैनपुर मे आयोजित कैल जेबाक समाचार आयोजनकर्ता द्वारा प्राप्त भेल अछि। २१ प्रतियोगी जे फाइनल लेल चुनेला अछि, ताहि मे सँ कुल ३ उम्मीदवार केँ प्रथम, द्वितीय आ तृतीय पुरस्कार देल जायत। यैह ३ सफल प्रतियोगी केँ ए. आर. रहमान म्युजिकल इन्स्टीच्युट, चेन्नई मे गीत-संगीत केर दुनिया मे नीक कैरियर बनेबाक लेल प्रशिक्षित कैल जाएत।
chainpur event3
फोटो साभार: सहरसा टाइम्स
ई कार्यक्रम ग्रामीण स्तर पर आ सेहो महिमंडल चैनपुर मे राष्ट्रीय कार्यक्रम केर पैटर्न पर कैल जेबाक भरपूर सराहना कैल जा रहल अछि। आजुक कार्यक्रम मे निर्णायक केर रूप मे प्रो. कृष्ण कान्त ठाकुर, प्रो. गौतम सिंह, प्रो. भारती सिंह, आर प्रो. अमरेन्द्र मिश्र छलाह जखन कि कार्यक्रम मे अतिथिक रूप मे लोकप्रिय मैथिली-मिथिला अभियानी अमित आनन्द तथा युवा अभियानी झा रूपेश केर गरिमामयी उपस्थिति छल। आयोजनकर्ता यूवासमूह मे उज्जवल ठाकुर मालिक, प्रकाश झा, नितिश कुमार आ समस्त ग्रामीण केर सहयोग सराहनीय रहल। एहि कार्यक्रम मे प्रतियोगी सब भिन्न-भिन्न गाम सँ उत्साहपूर्वक अपन नाम पंजियन करबैत भाग लेलनि आ सब कियो अडिसन मे अपन विलक्षण प्रतिभाक प्रदर्शन कएलनि। एहि तरहक कार्यक्रमक आयोजन सँ समूचा चैनपुर व आसपासक गाम मे खूब प्रशंसा कैल जा रहल अछि। दुनियाक बढैत डेग संग मिथिलाक आदर्श गाम केर बढैत डेग आ खासकय युवा मे प्रतिभाक खोजी केर चौतर्फा चर्चा चलि रहल अछि।   स्रोत:मिथिला जिनाबाद