विराटनगर केर पारंपरिक मिथिला समारोह बनि गेल अछि जितिया पर्व समारोह: ई. रमाकान्त झा
विगत किछु वर्ष सँ मैथिलानी वसुन्धरा झा केर नेतृत्व मे आयोजन कैल जा रहल मैथिल-मधेशी-थारू महिलाक विशेष पूजा-अर्चनाक परिचायक ‘जितिया पर्व समारोह’ धीरे-धीरे विराटनगर जेकरा मोरंग आ पूर्वी नेपालक राजधानी मानल जाएत छैक ताहि ठाम पारंपरिक मिथिला समारोह केर स्थापित पहिचान भेट गेल अछि – ई बात कहलनि जितिया पर्व समारोह २०७२ केर प्रमुख अतिथि वरिष्ठ समाजसेवी एवं बुद्धिजीवी ई. रमाकान्त झा।
निश्चित रूप सँ वसुन्धरा झा एकटा सृजनशील मैथिलानीक रूप मे स्वयं मे एक संस्था रहबाक कला केँ बेर-बेर प्रमाणित करैत रहली अछि। एहि बेरुक समारोह केर आयोजन अत्यन्त बिपरीत आर प्रतिकूल वातावरण मे करबाक चुनौती केँ सामना करैत – मिथिला-मैथिली-मधेशक सांस्कृतिक पहिचान नहि मेटाय देबाक भार उठेली। पूर्ण रूप सँ असगर नेतृत्वक बागडोर अपना हाथ मे लैत घर-गृहस्थी आ धिया-पुताक पोषण-संभारण करैत ओ जाहि तरहें ‘मुण्डे-मुण्डे-मतिर्भिन्ना’ आ ‘खण्डी बुद्धि’ लेल प्रसिद्ध मैथिल परिवारक महिला, पुरुष, समाजसेवी आदि केँ संङोरैत काज करैत छथि, ई हुनकर कर्मठता आ प्रतिबद्धता केँ सेहो प्रमाणित करैत अछि। एहि बेरका आयोजन लेल दुनू प्राणी दिन-राति खटैत अन्ततोगत्वा एकटा भव्य समारोह केर आयोजन पूर्व परिचित स्थान महेन्द्र मोरंग कैम्पस केर प्रांगण मे, दसों हजार मैथिल केर उपस्थिति मे संपन्न केलनि। विराटनगर मैथिल समाज लेल ई एकटा विशेष गर्व केर परिचायक कार्यक्रम भेल, यैह चर्चा सब तैर कैल जा रहल अछि।
![6](http://www.maithilijindabaad.com/wp-content/uploads/2015/10/6-300x200.bmp)
सुप्रसिद्ध गायक विरेन्द्र झा केर मधुर आवाज मे गोसाउनि गीत ‘जय जय भैरवि’ सँ सांस्कृतिक कार्यक्रम केर शुरुआत कैल गेल छल। मैथिली कला व मिथिलाक लोक संस्कृति केर आजन्म सेवा कएनिहार सुप्रसिद्ध नृत्य निर्देशक स्व. चतुर्भुज आशावादी द्वारा स्थापित लोकप्रिय संस्था ‘भानु कला केन्द्र’ केर कलाकार सब द्वारा झिझिया, नट-नटिन आदि लोकनृत्य प्रस्तुत कैल गेल छल। मैथिली लोकगीत ‘एहि ठिना टिकुली हेरा गेलय दैया गै’ पर सेहो एकटा अत्यन्त रोमांचक-मनोरंजक नृत्य केर प्रस्तुति भेल जेकर सराहना हजारों दर्शक जोरदार थोपड़ी आ युवा-युवती द्वारा मैदान मे मंचकेँ संग दैत नृत्य करैत कैल गेल छल।
![7](http://www.maithilijindabaad.com/wp-content/uploads/2015/10/7-300x200.bmp)
एहि गरिमामय कार्यक्रम मे मैथिली पत्रकारिता सँ जुड़ल अनेको पत्रकार स्रष्टा लोकनि केँ सम्मानित सेहो कैल गेल छल। सम्मानित पत्रकार समाज मे मकालू टेलिविजन सँ नविन कर्ण, हिन्दुस्तान केर जोगबनी प्रतिनिधि वरुण मिश्र, उज्यालो दैनिक केर जितेन्द्र ठाकुर, कान्तिपुर राष्ट्रीय दैनिक केर अबधेश झा, नागरिक – पूर्वेली केर संपादक अजित तिवारी आर नागरिक एफ एम केर निर्देशक अरविन्द मेहता शामिल छलाह। तहिना मैथिल महिला समाज केर उत्थान मे निरंतर योगदान देनिहारि मैथिलानी वंदना चौधरी, रिंकी झा, माफी झा, संझा यादव, सरिता झा, राधा मंडल तथा मीना झा केँ सम्मानित कैल गेल।
![9](http://www.maithilijindabaad.com/wp-content/uploads/2015/10/9-300x200.bmp)
सांस्कृतिक कार्यक्रमक संग महिला मे घरैया लूरि केँ प्रोत्साहित करबाक लेल पेन्टिंग सँ लैत सिक्की कला आदिक संवर्धन-संरक्षण हेतु सेहो निरन्तर प्रयास होइत रहल अछि। एहि बेर सकुन्तला साह केर नेतृत्व मे सिक्की सँ बनल समान मौनी, पौती, दीप-स्टैन्ड, आदि केर प्रदर्शनी कैल गेल छल। श्रीमती साह द्वारा एहि कला केँ प्रशिक्षण नव पीढी मे करबाक सेहो वचनबद्धता प्रकट कैल गेल छल।
![14](http://www.maithilijindabaad.com/wp-content/uploads/2015/10/14-300x200.bmp)
कार्यक्रमक संयोजिकाक संग अध्यक्षता स्वयं वसुन्धरा झा द्वारा कैल गेल। मैथिली जिन्दाबाद सँ बात करैत ओ समस्त सहयोगी समाज प्रति धन्यवाद ज्ञापन करैत अत्यन्त कम समय मे अत्यधिक सहयोग तथा प्रोत्साहन लेल श्रीमती राजलक्ष्मी गोल्छा, ताराचन्द खेतान, दीनबन्धु गोयल, पवन शारडा, वैष्णवी पुस्तक भंडार केर आनन्द पाण्डे, पूनम देव तथा ई. प्रेमचन्द्र झा केँ विशेष धन्यवाद ज्ञापन केलीह।
आगामी समय मे सेहो एहि कार्यक्रमक महत्व एतबे गणनीय होएबाक पूर्ण आशा संपूर्ण विराटनगर समाज द्वारा राखल जा रहल अछि। स्रोत; मैथिली जिन्दाबाद