Breaking News

संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेसी मोर्चाक बिरोध सभा सुखीपुर मे सम्पन्न

कृष्ण मोहन चौधरी, सुखीपुर (सिरहा) आसिन २० गते ।
संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेसी मोर्चाक आयोजन निर्वाचन क्षेत्र नं ४ मे बृहत बिरोध सभा सिरहाक सुखीपुरमे सम्पन्न कयलक अछि ।
नेपाल सद्भावना पार्टीक अध्यक्ष राम बहादुर महतो केर अध्यक्षता तथा पुर्व मन्त्री बिजय यादव केर प्रमुख अतिथ्य मे कार्यक्रम सम्पन्न भेल से संघिय समाजबादी फोरम नेपालक जिल्ला सचिव बिन्देशवर पंजियार बतौलन्हि ।
बिरोध सभामे मोर्चाक तथा सम्पूर्ण मधेसबादी दलकेर केन्द्रीय नेता भु पु सभासद राजलाल यादव लगायत निर्वाचन क्षेत्र नं ४ केर १६ गाविस केर जनता, बुद्धिजीवी सभक उल्लेखनिय सहभागिता रहल छल ।
सभामे बिगत २ महिना सँ चलि रहल मधेस आन्दोलनक समवन्धमे सरकार कोनो तरहक सुनुवाई नहि कयने आ सत्ताक खेलमे तिन दल भिरल रहबाक शैली केर घोर बिरोध कैल गेल ।
मधेस आन्दोलन आ मधेसक मुद्दासभक बिषय ऊपर जानकारी आ आैचित्य मधेस बिरोधी सरकारक बिरोध आ आब विगत जेकाँ कोनो उधारी सहमति कोनो परिस्थितिमे स्वीकार नहि करबाक जनादेश अधिकांश वक्तासभ संवोधन द्वारा प्रकट कैल गेल छल ।
संगहि मधेस आन्दोलन आ विगत मे भेल अन्तरिम संविधानमे ८ बुन्दे आ २२ बुन्दे सहमति केर समवन्धमे प्रोजेक्टर प्रविधि सँ जनता समक्ष भुतपूर्व सभासद तथा मन्त्री प्रस्तुति कयने छला । आे कहलन्हि जे हमरा सभक कोनो नया माँग नहि अछि । पूर्व मे स्वीकृत अधिकार तऽ कम सँ कम नहि छीनय।

No comments