Breaking News

असोज ३ : मधेशी मोर्चा आ एमालेसंगे झगड़ा होइके सम्भावना

✍अशोक कुमार सहनीअपन मिथिला, ३१ गते भदौ । 
संविधान घोषणा भेल दिन असोज तीन (३)गते संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेशी मोर्चा काला दिन मनाबै के आ प्रदर्शन करैके निर्णय कचुकल अछि । यत बेरस्पतै दिन नेकपा एमालेके स्थानीय समिति बैठकसँ अजोस तीन गते संविधान दिन धूमधाम के साथ मनाबै के निर्णय केलक।
मधेशी मोर्चा असोज दुई गते सँ रंग-बिरंग के कार्यक्रम करैके  चार(४) गते तक विरोध करैके निर्णय कचुकल अछि ।
एमाले असोज तीन गते पूरानेपालमें ओहो रंग-बिरंग के कार्यक्रमसाथमे जुलुस प्रर्दशन करैके सचिव प्रदिप ज्ञावाली जानकारी करोने अछि ।
असोज तीन गते मधेशी मोर्चा सेहो  सदरमुकामसबमे जुलुश आ सभा कके विरोध करत आ एमाले सेहो करत ओहि टाइम में जुलुस और सभा करत तब बहुत ठाम में झगड़ा होइके सम्भावना रहल अछि ।
यत काठमाडौंमें सेहो मधेशी आ एमाले कार्यकर्ताबीचमें झगड़ा भस्कैय । असोज तीन गते मधेशी युवासबके अगुवाईमें मधेशी समाजके व्यानरमें काठमाडौंमें प्रदर्शन हेत । ओहि दिन एमाले काठमाडौंके बहुत ठामसँ ढोल-पिपिहि के साथ प्रदर्शन करैत शान्तिबाटीका पुगत। दुपहर के २ बजे बसन्तपुरमें पार्टी अध्यक्ष केपी ओली सम्बोधन करैवाल अछि।