Breaking News

चार गोटे बच्चाकेँ उद्धार कके अभिभावकसबके जिम्मा लगेलक

चार गोटे बच्चाकेँ उद्धार कके अभिभावकसबके जिम्मा लगेलक
अपन मिथिला लहान , भाद्र २२ गते -
सिरहा जिल्लाके सोठीयाईन गाविस सँ विगत मितिमें हरैल और बिछडल भेल चार गोटे बच्चासबके भारतके मुजफ्फरपुर स् दलित संरक्षण अभियान मंच बस्तीपुर सिरहाके सहयोगमें उद्धार कके जिल्ला प्रशासन कार्यलय सिरहाके आदेशमें ईलाका प्रशासन कार्यलय लहान शाखा अधिकृत पवन कुमार गुप्ताके रोहवरमें काल्हि चारु गोटे बच्चासब के ओकर माई बाप के  जिम्मा लगेने अछि I उद्धार कके एल बच्चासब ८ वर्षीके निरज सदाइ के माई श्रीदेवी सदाइ , १० वर्षीके पवन कुमार सदाइ के माई किसुन देवी सदाइ , १० वर्षीके दिनेश सदाइ के माई सभेर देवी सदाइ आ ९ वर्षीके संजिव मुखिया के बुवा धनराजी मुखियाके जिम्मा लगोलक i बच्चासब अभिभावकके जिम्मा लगाबै बेर में  ईलाका प्रहरी कार्यलय लहानके डिएसपी राज कुमार केसी , मानव अधिकारकर्मी इन्सेकके सिरहा जिल्ला प्रतिनिधि दुर्गा परियार , रेडियो सरगम ९३ मेगाहर्जके अध्यक्ष फिरोज शेख , पत्रकार मनिलाल विश्वकर्मा , दलित संरक्षण अभियान मंचके सुदेश भगत , सुर्य नारायण राम, आ भरभलादमी सब के उपस्थति छेल।।