आशिक साह,असार २१।मैथिली भाषामे नेपालमे देल जाएवला सभसँ बडका राशीक पुरस्कार एक समारोह बीच प्रदान कएल गेल अछि । काठमाण्डू स्थित नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठानक सभा हलमे आयोजित ओे कार्यक्रममे राष्ट्रपति विद्या देवी भण्डारी पुरस्कार प्रदान कएलन्हि । नेपाल सरकारद्वारा स्थापित विद्यापति पुरस्कार कोष एकगोटेके दूई लाख आ चार गोटेके एक– एक लाख पुरस्कार प्रत्येक वर्ष दैत अछि ।दूई लाख राशीक नेपाल विद्यापति मैथिली भाषा साहित्य पुरस्कार जनकपुरक मिथिला नाट्य कला परिषदके प्रदान कएल गेल । ओ पुरस्कार मिनापक अध्यक्ष परमेश झा लेलन्हि । तहिना नेपाल विद्यापति मैथिली अनुसन्धान पुरस्कार त्रिभुवन विश्वविद्यालयक प्राध्यापक डा. विरेन्द्र पाण्डे, नेपाल विद्यापति मैथिली अनुवाद पुरस्कार मैथिली सिनेमाक चर्चित निर्देशक एवं संगीतकार मुरलीधर, नेपाल विद्यापति मैथिली पाण्डुलिपी पुरस्कार मैथिलीक चर्चित नाटककार अवधेश पोखरेल आ नेपाल विद्यापति मैथिली कला संस्कृति पुरस्कार गायक नविनकुमार मिश्रके प्रदान कएल गेल ।साहित्यकार रामहृद्य प्रसादक संयोजकत्वमा कोष गठन कएने पाँच सदस्यीय समितिक सिफारिसमे पुरस्कार किछुदिन पूर्व घोषणा कएल गेल छल ।समितिमे डा. आशा सिन्हा, रामसागर पण्डित, पूर्व सांसद महेन्द्रकुमार मिश्र आ डा. श्यामा महतो रहल छलथि । दू लाखक पुरस्कार एहिसँ पूर्व मैथिलीका बरिष्ठ साहित्यकारत्रय डा. राजेन्द्र विमल, रामभरोष कापडि, डा. रेवतीरमण लाल आ रामानन्द युवा क्लबके प्रदान कएल गेल छल ।कार्यक्रम विद्यपति पुरस्कार कोषक संयोजक विजय दत्तक सभापतित्वमे भेल छल । समारोहमे मैथिल िआ नेपाली भाषाक साहित्यकार,कलाकार एवं संस्कृतविदसभक सहभागिता छल ।
राष्ट्रपति विद्या देवी भण्डारीद्वारा विद्यापति पुरस्कार प्रदान कएल गेल
Reviewed by Domain Registration Nepal
on
7:06 AM
Rating: 5