Breaking News

कोशी नदीमे नाऊ डुबल , ३६ जनके सकुशल उद्धार

असोज १ । सुनसरीको सप्तकोशी नदीमे  नाऊ  डुबल  अछि । श्रीलंका टापुस  प्रकाशपुर –५ राजावासा आइब रहल नाऊ कोशी नदीमे डुबल छल  । नाउमे बैठल यात्रुके छल से  खुइल नैसकलमुदा  ३६ जनके  सकुशल उद्धार कल गेल अछि  से जानकारी  जिल्ला प्रहरी कार्यालय सुनसरीके  एसपी पोषराज पौडेल कहने अछि  नाउमे  कते  बैठल रहै  से  यकिन नै भेलोस  अखन तक  ३६ जनके  सकुशल उद्धार भेल हुनकर कहब अछि  । पौडेलके कहनाम ३६ जनके  उद्धार भेल छै । हुन्का सबहक स्वास्थ्य अवस्था सामान्य छै । कतेके  स्थानीय स्वास्थ्य संस्थामे उपचार भरहल छै त किछ लोग अपन घर सेहो चैल गेल छैथ । अखिनो उद्धारके काम कायमे रहल   से प्रहरीके कथन छै  सप्तकोशीमे  बाइढबेसी एला स खोजमे किछ समस्या आइब रहल छै  । प्रकाशपुरमे  साप्ताहिक रुपस लगैत आइब रहल हाट  करैके खातिर बहुत  सर्वसाधारण एकेटा नाउमे बैठल  रहै  । स्थानीयबासी, प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी तथा नेपाली सेनाके टोली सब  अखिनको खोज तलास के काम चालुए राखने छै  ।