Breaking News

हिन्दी धारावाहिक ‘सिया के राम’ मे मैथिली गीतक मिठास शीघ्र

ओना त हिन्दी सिनेमा तीसरी कसम मे जमि कऽ मैथिली भाषाक प्रयोग कैल गेल छल। ओहिकें बाद सिनेमा ‘भौजी मां’ कें सेहो आन-आन भाषा मे गबिंग कैल गेल छलैक मुदा स्टार प्लस पर आवै वला सीरियल ‘सिया के राम’ हिन्दी धारावाहिक मे मैथिली गीतक मिठास पूरा देश कें सुनवा मे आयत। चूंकि सीता मैथिलानी छलीह आ ओहि कें देखैत धारावाहिक निर्माता अहि बातक विशेष ध्यान रखलाह जे धारावाहिक मे मिथिलाक मिठास नीक जेना होइ। 
अहि बहुप्रतिक्षित धारावाहिक मे अपन स्वर सं गीतकें सुरवद्ध केलीह अछि वर्तमान मैथिली गीतक शीर्ष गायिका रंजना झा। मुंबईक अशोक हौंडा स्टूडियो मे रिकार्ड कैल गेल अहि गीतक संगीतकार छथि संदीप बनर्जी ओ अजय मिश्र तहिना रिकाॅर्डिस्टक रूप मे शकील अपन अहम योगदान देने छथि। गायिका रंजना झा अहि गीत कें गाबि उति उत्साहित छथि आ अपना सोशल साइट पर लिखलीह जे मां जानकीक कृपा सं रिकाॅर्डिंग बढि़या रहल आ अति शीघ्र स्टार प्लस पर सीया के राम सीरियल अपने लोकनि कें देखवा मे भेटत। 
निश्चित रूपहिं मैथिली गीत-संगीत ओ मिथिला-मैथिलीक लेल इ एक एकटा नीक भविष्यक सूचक अछि। अहि उत्कृष्ट काजक लेल सिया के राम कें पूरा यूनिट आ विशेष क रंजना झा कें बहुत-बहुत धन्यवाद आ कोटि सह बधाई।

No comments